बिन पानि वाली बागमती
हे कनि लग आबि जाऊ ने, लहेरियासराय सं शुभंकरपुर अबैत-अबैत धौझन भ' जाइत अछि..
अहां के एतबो दूर आयल पार नहि लगैत अछि...कहि त काल्हि सं हम आबि जाए....छोड़ू इ गप्प के...सुनलिये जे दरभंगा में 14 जनवरी सं सिटी बस चलतै..तखन हम एकरा दरभंगाक मेट्रो बुझी घुमैत रहब..की दरभंगा में सिटी बस चलला सं दरभंगा में शहरियत बढ़तै ?
हाहाहा....ठीक तहिना बढ़ते जेना किनको पाइ भेला पर इंसानियत बढ़ी जाइत अछि..
इ लिय' अहांक बिन पानि वाली बागमती आबि गेल, जौं कतौ पानि देखा रहल अछि त' ओ पानि नहि प्रदूषण छै
ओ हमरा बागमती देखाबैत रहती आ हम हुनका देखैत रहतौ..

0 comments: